उद्वेश्य


"मैथिल समन्वय समिति" द्वारा किछु प्रस्तावित समाजोपयोगी कार्ययोजना निम्नलिखित अछिः

१)  प्रारंभिक स्तर पर महाराष्ट/मुंबई स्थित रहनिहार प्रत्येक प्रवासी मैथिल समाज तथा व्यक्ति के एकताक शू्त्र मे आबध्द करबाक कल्याणकारी योजनाक तहत "डाटा फार्म" मे सभ प्रकारक  सूचना के व्यवस्थित पंजीकृत करायब जाहि सँ निश्चित संख्या दृष्ठिगोचर भऽ सकय।

२) ३१ मार्च, २०१६ के "मैथिल समन्वय समिति" केर प्रस्तावित बैसार मे " वर-वधू परिचय सम्मेलन" केर भावी रुपरेखा पर आयोजन संबंधी ठोस निर्णय।

३) वर्तमान मे संचालित अभियान मे संलग्न संस्थागत सक्रियता के आओरो व्यापक स्तर पर विस्तारित करैत संख्या बल के ५० सँ बेशी संगठन के शामिल करबाक वृहद योजना।

४) प्रवास मे कार्यरत मैथिलजन कें शिक्षा रोजगार, स्वास्थ्य आदि अनेको प्रकारक उत्पन्न होमयवला असुविधाक निवारण हेतु समाधानक मार्ग सुलभ करायब।

५)  "मैथिल समन्वय समिति" कें अखिल भारतीय स्तर पर मान्यता प्राप्त होइक एहि हेतु निरंतर कार्यक्र माध्यम सँ सामाजिक, सांस्कृ्तिक एवं आर्थिक क्षेत्र में सक्रियताक माध्यमें जन आंदोलनक शंखनाद करबाक व्यापक योजना।

मिथिलाक नवयुवक-नवयुवती युवा शक्ति सँ विशेष अनुरोध अछि जे बेशी सँ बेशी संख्या मे "मैथिल समन्वय समिति" मे शामिल भऽ सर्वश्रेष्ठ योगदान तथा भुमिका कें निवर्हन करबाक उद्दात चिंतन के जन-जन धरि पहूँचेबाक संकल्प के चित्त मे धारण करैत सभ प्रकार सँ समरर्पित सहयोग प्रदान करी।

निवेदकः

 

मैथिल समन्वय समिति